July 25, 2024

Madhesh Khabar

मधेशको न.१ मेडिया हजुरको हरपलको साथमा – मधेश खबर

ईप्रका बिजयपुरमे पथरबाजी,प्रहरी द्वारा हवाई फायर

रामप्रवेश बैठा,रौतहट,पौष ०५ गते
रौतहट जिल्लाके फतुवा बिजयपुरमे रहल ईलाका प्रहरी कार्यालयमे पथरबाजी कएल गेल हए । ऐतवारके रातमे ट्रिपरके ठक्करसे एक जना मोटरसाईकिल चालकके मृत्युु भेलाके परिवारजन आक्रोसित होईत पथरबाजी कएले रहे । प्रहरी दोषीके बचाबेके खोजले कहईत उ लोग आक्रोसित भेल रहे । फतुवा विजयपुर–११, हिमालीबासमे टिपरके ठक्करसे मोटरसाइकल चालक नेकपा एमालेके गाउँ कमिटी सदस्य खेदु चौधरीके मृत्यु भेल रहे । मृत्यु भेलाके बाद पीडित परिवार प्रदर्शनमे उत्रल रहे । ठोकरके बाद प्रहरी मुचुल्का नउठाके पोष्टमार्टमके लेल पेठएले कहईत आक्रोसित बनल हए । पीडित परिवारसंघे सयोके संख्यामे गावके लोगसब सोमारके सबेरेसे हि विजयपुरमे एमाले के नगर अध्यक्ष बिजय यादव निर्जीव के नेतृत्वमे सयौं युवा र महिला द्वारा प्रदर्शन करईत पथरबाजी कएले रहे । एई क्रममे २ जना प्रहरी घायल भेल आ प्रहरी स्थिति नियन्त्रणमे लेल २ राउन्ड अश्रुग्यास प्रहार कएले प्रहरी बतएले हए ।